22 येसु यि बात बोलैतखिना लगमे ठारभेल पहरेदासबमेसे एक गोरा एहेन कहैत ओकरा थापर मारल्कै, “कि तु परधान पुजारीसे मुहेमुहे लगैचिही?”
ओइसबमेसे कोइ-कोइ ओकरा थुक दैले लाग्लै। आँखमे पट्टी बाइन्हके थपराइत कहल्कै, “ले तु अन्तरयामी चिही त, कह त तोरा के पिटल्कौ?” तब सिपाहीयोसब ओकरा थापर मारल्कै।
अहाँ हमरा कथिले पुछैचियै? ओकरासबसे पुछु, जे हमर कहल बातसब सुन्नेछै। ओकरासबके हमर कहल बातसब थाहछै।”
तैबखत यहुदा सिपाहीसबके एकटा दल, मुल पुजारीसब आ फरिसीसबसे पठ्याल पहरेदारसबके ल्याके ओते एलै। उसब आपन साथमे लालटेम, उँकासब आ हाथ-हथियारसब बोक्ने छेलै।
तब ओकरलग आइबके “यहुदीसबके रजा, गोर लागैची!” कहैत ओकरा थपराइले लाग्लै।