20 तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “हम त सबकोइ सुने कैहके खुलमखुला कहनेचियौ। हम हरदम सभाघरसब आ मन्दिरमे आपन सिक्छा देलियै, जते यहुदीसब जमा हैछै। हम आपन सिक्छा गुप्तमे नै देने चियै।
येसु मन्दिरमे सिखाइबखत, जोरसे कहल्कै, “तुसब हमरा चिन्हैचिही आ हम कतेसे एलचियौ सेहो तुसब जानैचिही। महज हम आपने मनसे नै एलचियौ। जे हमरा पठाइनेछै, उ सत छै आ ओकरा तोरासब नै चिन्हैचिही।
खुद रजा अगरिपासके यि बातसब मालुम छै तै लेल हम ओकर सामने निडर भ्याके बोइलरहल चियै। हम बिस्बास दियाबैचियौ कि कोनो भि बात ओकरसे घोसरल नै छै। कथिलेत यि सब बातसब गुप-चुपमे नै भेल छै।