17 तब देहरीमे पहरा दैबाली छौरी पतरुसके कहल्कै, “कि तुहु ओइ लोकके चेलासबमेसे एक गोरे त नै चिही?” पतरुस जबाफ देल्कै, “हम नै चियै!”
ओतबेहेकमे पतरुस येसुके कहल्कै, “सबकोइ अहाँके छोइर देत महज हम कहियो नै छोरब।”
तब उसब येसुके पकरल्कै आ पकैरके ओकरा मुल पुजारीके घरमे आनल्कै। महज पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल गेलै।
महज पतरुस देहरीके केबारे लग ठार भेलै। तब उ दोसर चेला, जे परधान पुजारीके चिन्हैछेलै, उ बाहर निकैलके केबारमे पहरा करैबाली छौरीसङे बात कैरके पतरुसके भितर आनल्कै।
ओइ बखत सिमोन पतरुस ठार भ्याके आइग ताइपरहल छेलै। उसब ओकरा कहल्कै, “कि ओकर चेलासबमेसे तुहु एक गोरे त नै चिही?” पतरुस इन्कार करैत कहल्कै, “हम नै चियौ!”
तब उसब जबाफ देल्कै, “नासरतके येसुके।” येसु कहल्कै, “हम ओह्या चियौ।” (ओकरा पकरा दैबला यहुदो ओकरासबसङे ठारभेल छेलै।)
येसु कहल्कै, “हम त तोरासबके कैहदेने चियौ कि, उ हम्ही चियौ। यदी तुसब हमरा ताकैचिही त अकरासबके जाइले दहै।”
उसबके ख्याल भेलाके बाद येसु सिमोन पतरुसके कहल्कै, “ऐ युहन्नाके बेटा सिमोन, कि तु औरो चेलासबसे बेसी हमरा परेम करैचिही?” उ कहल्कै, “जि परभु, अहाँ के थाहेछै कि हम अहाँके परेम करैचियै।” येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पठरुसबके चरा।”
जब पतरुस बाहरसे केबार ढकढकेल्कै तब रोदा नामके एकटा नोकरनी केबार खोले एलै।