16 महज पतरुस देहरीके केबारे लग ठार भेलै। तब उ दोसर चेला, जे परधान पुजारीके चिन्हैछेलै, उ बाहर निकैलके केबारमे पहरा करैबाली छौरीसङे बात कैरके पतरुसके भितर आनल्कै।
पतरुस ओइ बाहर अङनामे बैठल छेलै। एकटा नोकरनी आइबके ओकरा कहल्कै, “अहुँ त गालिलके निबासी येसुके सङे छेलियै।”
हरेक साल निस्तार पाबैनके अबसरमे बडा हाकिम लोकसबके मन मुताबिक एकटा कैदी छोइरदैछेलै।
तब हरेक बरिस निस्तार पाबैनके अबसरमे पिलातस लोकसबके माङ अनुसार एकटा कैदीके छोरै छेलै।
महज सब लोकसब हल्ला कैरके कहल्कै, “अकरा मारैये परतै! बरु हमरासबके खातिर बारब्बाके छोइरदियौ!”
जब पतरुस बाहरसे केबार ढकढकेल्कै तब रोदा नामके एकटा नोकरनी केबार खोले एलै।