15 तब सिमोन पतरुस आ औरो एक गोरे चेला येसुके पछा-पछा गेलै। दोसर चेला परधान पुजारीके चिन्हलाके कारन येसुसङे परधान पुजारीके अङनामे गेलै।
ओहै बखत परधान पुजारी कैयाफाके दरबारमे मुख पुजारीसब आ अगुवासब जमा भ्याके बैठक बैठलै।
महज पतरुस दुरेसे येसुके पछा लागैत मुल पुजारीके अङनामे गेलै, तब ओते सिपाहीसब सङे बैठके उ आइग तापे लाग्लै।
तब उसब येसुके पकरल्कै आ पकैरके ओकरा मुल पुजारीके घरमे आनल्कै। महज पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल गेलै।
तकरबाद हन्नास येसुके बान्हल अबस्थामे परधान पुजारी कैयाफा लग पठाइल्कै।
तकरबाद उसब येसुके कैयाफाके घरसे रोमी सासकके दरबारमे ल्यागेलै। ओइ बखत अनगुत भेल छेलै। असुध नै हेबे महज निस्तार पाबैनके भोज खाइले सकि कैहके उसब दरबार भितर नै गेलै।