12 तकरबाद सिपाहीसब आ ओकर कप्तान यहुदीसबके पहरेदारसब येसुके पकैरके उल्टा बान्ह बानहल्कै।
येसुके पकरैबलासब ओकरा परधान पुजारी कैयाफालग ल्यागेलै। ओते धरमगुरुसब आ अगुवासब जमा भेल छेलै।
तब उसब ओकरा बाइन्हके लगेलै आ बडा हाकिम पिलातसके जिमा लगादेल्कै।
तकरबाद बडा हाकिमके सिपाहीसब येसुके राज महलमे ल्यागेलै आ पुरे पलटन ओकरा चारु कातसे घेरल्कै।
तब उसब येसुके परधान पुजारी लग आनल्कै। ओते मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ औरो अगुवासब जम्मा भेल छेलै।
बिहान सबेरे मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे, अगुवासबसे आ महासभाके सब सदससबसे सङे आपसमे सरसल्लाह कैरके योजना बनेल्कै। तब उसब येसुके बाइन्हके बडाहाकिम पिलातसलग आनल्कै।
तब उसब येसुके पकरल्कै आ पकैरके ओकरा मुल पुजारीके घरमे आनल्कै। महज पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल गेलै।
तैबखत यहुदा सिपाहीसबके एकटा दल, मुल पुजारीसब आ फरिसीसबसे पठ्याल पहरेदारसबके ल्याके ओते एलै। उसब आपन साथमे लालटेम, उँकासब आ हाथ-हथियारसब बोक्ने छेलै।
कैसरियामे करनेलियस नामके एकटा लोक रहै, जे रोमी सेनामे इटालिया पल्टनके कप्तान रहै।
उसब पावलके जानेसे माइर दैके बिचारमे छेलै, महज तखुन्ते यि बातके खबर रोमी सेनापतीके कानमे पुग्लै जे, सौसे यरुसलेम सहरमे हुलदङा हेबे लाग्लै।
जब सिपाहीसब पावलके गढ़के भितर लजाइत खिना सेनापतीके गिरिक भसामे कहल्कै, “यदी अहाँ आग्या देबै त कुछ बात राखु।” सेनापती कहल्कै,
जब ओइसबमे मतभेद बरहैत गेलै तब सेनापती डेरागेलै जे पावलके उसब टुकरा-टुकरा कैर नै दै। तैल्याके उ सैनिकसबके निचा ज्याके पावलके ओइसबके बिचसे जबरजस्तीसे गढ़मे लजाइले आग्या करल्कै।