23 हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।
महज यदी हम पिताके काम करैचियै तबो तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही त हमर करलाहा अजगुतके कामसबमे त बिस्बास कर। तब तुसब जानबिही आ बुझबिही, कि पिता हमरमे छै आ हम पितामे चियै।”
‘हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै’ से कि तु बिस्बास नै करैचिही? जे बात हम तोरासबके कहैचियौ, से बात हम आपने मनसे नै कहैचियौ। महज हमरमे रहैबला पिता यि कामसब करैछै।
आब हम सन्सारमे नै रहबै, महज उसब त सन्सारेमे रहतै आ हम अहाँके लग आइबरहल चियै। हे पबितर पिता, अहाँ आपन नामके सक्तिसे एकरासबके रक्छा करु, जे नाम अहाँ हमरा देलियै, ताकि ओहोसब हम आ अहाँ एक भ्याल जखा एक हेबे।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।