20 “हम यि चेलासबके खातिर मातरे परथना नै करैचियै, महज ओहोसबके लेल करैचियै, जे उसबके सिक्छासे हमर उपर बिस्बास करतै।
हमर औरो भेंरासब छै जे अइ जेरके नै चियै। हमरा ओकरोसबके अइ जेरमे लाबैके जरुरी छै। उसब हमर बोली सुन्तै आ सब एके जेरमे हेतै आ उसबके एकेटा चरबाह हेतै।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
महज बचन सुनैबला बहौत लोकसब बिस्बास करल्कै आ बिस्बास करैबला मरद-पुरुख बैढके पाँच हजार भेलै।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
हम आपन पिरिय बेटा तिमोथीके यि चिठी लिखैचियै। परमेस्वर पिता आ आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।