17 अहाँके सत्यतासे ओइसबके पबितर करु, कथिलेत अहाँके बचन सत छै।
“अइ खिसाके अरथ यि चियै, बिचहनके मतलब परमेस्वरके बचन चियै।
महज हलगर माटीमे परैबला उसब चियै, जे कोइ परमेस्वरके बचन सुनैछै आ आग्याकारी भ्याके मनेमे राखैछै आ दुख सहियोके बहौतरा फल फराइछै।”
किसान ठाइरके साफ करल जखा तुसब पहिनेसे हमर बचनसे सुध भेलचिही।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
तब तुसब सतके जानबिही आ सत तोरासबके छुटकारा देतौ।”
महज हम तोरासबके परमेस्वरसे सुनल सत बातसब सुनाइचियौ त तुसब हमरा मारैले ताकैचिही। अबराहम त एहेन काम नै करल्कै।
परमेस्वर ओकरासबमे आ अपनासबमे कोनो भेदभाव नै करल्कै, महज ओइसबके मन सुध करल्कै कथिलेत उसब परभुमे बिस्बास करल्कै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
साँचोके तुसब येसुके सिक्छा सुइनके ओकर चेला भेलाके कारन, ओकर बारेमे सत बात सिखनेचिही।
खिरिस्ट मन्डलीके बचन रुपी पानीसे धोइबके सुध आ पबितर बनाइल्कै।
परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै।
अहै खातिर सब एहेन अधलाह आचरन आ नै निक बानी बेबहारसे अलग हो। नम्र भ्याके तोरौरके हिरदयमे राखल परमेस्वरके बचनके आपन बना कथिलेत ओहैसे तोरौरके उदार कैरसकैछौ।