15 यि सन्सारसे ओकरासबके ल्याजाउ कैहके हम परथना नै करैचियै, महज ओकरासबके दुस्टसे बचाबु कैहके परथना करैचियै।
तोरासबके कहल बचन ‘हँ’ त ‘हँ’ ‘नै’ त ‘नै’ मातरे कह। अकरसे बेसी बाजैचिही त उ सैतानसे आबैछै।
हमरासबके पापमे फसाइबला बातसबसे दुर राखु आ दुस्टसे बचाबु। [कथिलेत राज, पराकरम आ महिमा जुगो-जुग तक अहैके चियै, आमेन।’]
हमरासबके पापसब छमा कैरदिय, कथिलेत हम्हु हमर बिरुध पाप करैबलाके छमा करैचियै। हमरासबके जाँचसे दुर राखु।’”
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
येसु खिरिस्ट अपनासबके अइ दुस्ट सन्सारसे बचाइके लेल परमेस्वर आ पिताके इक्छा मुताबिक पापके खातिर बली भेलै।
महज परभु बिस्बास योग्य छै आ उ तोरासबके बौकार बनेतौ आ सैतानसे बचेतौ।
आब त परमेस्वर हमर खातिर धारमिकताके मुकुट राखनेछै। जे पुरस्कार धारमिकताके नियाय करैबला परभु ओइ दिन हमरा देतै, उ हमरा मातरे नै महज जेसब तन-मनसे ओकर आबैबला बाट ताकैछै ओइसबके लग्यादेतै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी भ्याल लोक पाप कैरते नै रहैछै से बात अपनासब जानैचियै। कथिलेकी परमेस्वरके बेटा ओइसबके बचाइछै आ दुस्ट सैतान ओकरा छुबैले नै सकैछै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ पुरे सन्सार दुस्ट सैतानेके बन्धनमे छै कैहके अपनासब जानैचियै।