5 “आब हम हमरा पठाइबला लग जाइचियै, महज ‘अहाँ कते ज्यारहल चियै?’ कैहके तुसब कोइ नै हमरा पुछैचिही।
येसु जानैछेलै कि पिता हमर हाथमे सबचिज देनेछै आ हम परमेस्वरसे एलचियै आ परमेस्वर लग ज्यारहल चियै।
तब सिमोन पतरुस येसुके कहल्कै, “हे परभु, अहाँ कते ज्यारहल चियै?” येसु ओकरा कहल्कै, “हम जते ज्यारहल चियै, अखुन तु हमरसङे आबैले नै सकबिही, महज तु पाछे हमरा पछुवाइबिही।”
‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदी तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै।
उ परमेस्वरके अगामे धारमिकताके बारेमे कथी असल चियै, ओह्या देखादेतौ कथिलेत हम पितालग जाइचियौ। आबसे फेनो तुसब हमरा नै देखबिही।
“आब तुसब कन्हिक देरके बाद हमरा नै देखबिही, तब कन्हिके देरमे तुसब फेनो हमरा देखबिही।”
“‘कन्हिके देरके बाद तुसब हमरा नै देखबिही, तकरबाद फेनो कन्हिक देरमे हमरा देखबिही’ ‘कथिलेत हम पितालग ज्यारहल चियै’, यि बातके अरथ कथी चियै?” से कैहके ओकर चेलासब एक दोसरके पुछे लाग्लै।
हम पितालगसे सन्सारमे एलचियै, आब फेनो सन्सार छोइरके पितालग घुइमके ज्यारहल चियै।”
“महज आब हम अहाँ लग आइबरहल चियै। हमर आनन्द ओइसबमे पुरा हेबे कैहके हम सन्सारमे रैहते यि बात कहैचियै।
अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै।
जब तुसब मानबके बेटाके जतेसे एलछेलै ओतै जाइत देखबिही त तुसब कथी करबही?
तब येसु कहल्कै, “हम कुछदेर तक मातरे औरो तोरासबसङे रहबौ, तकरबाद हमरा पठाइबला लग जेबौ।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।