33 “हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
तब कुछ लोकसब झोलङामे बोइकके एकटा लकबा मारल लोकके येसु लग आनल्कै जे बिछोनासे उठे नै सकैछेलै। येसु ओइसबके बिस्बास देखके लकबा मारल लोकके कहल्कै, “बेटा, साहस कर। तोहर पाप छमा भेल छौ।”
“परभु परमेस्वरके नाममे आबैबला रजा धैनके चियै। स्वरगमे सान्ती आ परमेस्वरके महिमा हेबे।”
“स्वरगमे परमेस्वरके महिमा आ पिरथिबीमे जै लोकसबसे परमेस्वर खुसीछै, ओकरासबके सान्ती।”
आब अइ सन्सारके नियाय हैबला समय चैल एलछै। अइ सन्सारके सासक बाहर निकालल जेतै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
उ तोरासबके परमेस्वरके नियाइ कथी चियौ से देखादेतौ। कथिलेत यि सन्सारके रजा पहिने दोसी ठहैर गेलछै।”
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
महज अखनियो हम अहाँसबके बिन्ती करैचियै कि, साहस मातरे करु, कोइ नै आपन जान गुमाइतै, महज जहाद मातरे नास हेतै।
अहै खातिर हे हमर भाइ-भैयारीसब साहस कर। कथिलेत परमेस्वरमे हम पुरा बिस्बास करैचियै कि जनङ हमरा कहनेछै तैहनङ हेबे करतै।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके परमेस्वर आ पिताके जयजयकार हेबे। उ दया करैबला पिता आ पुरा सान्तबना दैबला परमेस्वर चियै।
अन्तमे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम बिदा हैत बेर, तोरासबके यि कहैले चाहैचियौ, कि जीजानसे सिध हैले कोसिस कर। हमर बिन्ती सुन, एक-दोसरके बात सुन आ सान्तीमे रह। सान्ती आ परेम दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे।
परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, उ अपनासबके खिरिस्टमे सबदिन बिजयके लेल चलाबैछै। ओकर ग्यानके गमक अपनासबसे हरेक जगहमे फैलाबैछै।
यि महान सक्ती हमरासबके नै महज परमेस्वरके चियै कैहके परस्ट करैके लेल यि धन माटीके बरतनमे अरथात अपनासबमे छै।
महज हरतरहसे हमसब आपनेके परमेस्वरके सेबकसब चियै कैहके देखाइचियै। सब कठिनाइ, बिपत, सङकट आ दुखमे धिरजसे सहन करैचियै।
तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै। हम तोरासबमे एकदमे गर्भ करैचियौ। हम तोरासबसे पुरा रुपमे उत्साह पाबने चियौ आ कस्टोसबमे हम बहुत आनन्दित चियौ।
येसु खिरिस्ट अपनासबके अइ दुस्ट सन्सारसे बचाइके लेल परमेस्वर आ पिताके इक्छा मुताबिक पापके खातिर बली भेलै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।
तब लोकके समझसे बाहर रहल परमेस्वरके सान्तीसे तोरासबके हिरदय आ मनके खिरिस्ट येसुमे रक्छा करतौ।
कुरूसमे बलिदान भेल खिरिस्टके लहुसे परमेस्वर स्वरग आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके फेनसे आपनसङे मेलमिलाप आनल्कै।
कथिलेकी तोरासबसङे रहै बखत अपनासब सताबट पैबे कैहके बेर-बेर कहने छेलियौ। हमर कहल बात हाथ लाग्बे कैलौ, से बात थाहे छौ।
ओहैसे हे हमर भाइसब, तोरासबके बिस्बासके असल खबर सुनैके कारन हमसब आपन सब दुख आ कस्टसबमे साहस पाबनेचियै।
आब सान्ती दैबला परभु आपनेसे हरघरी आ हरतरहसे तोरासबके सान्ती देबे। परभु तोरासबगोरा सङे रहे।
येसु खिरिस्टमे भक्तीके जिबन बिताइले चाहैबलासबके सताबटके सामना करैए परतै।
उ पापके छनिक सुखबिलास भोगसे त बरु परमेस्वरके लोकसबसङे अतियाचार सहैले चुनल्कै।
अबराहम रजासबसे जितके आनल सब धनसम्पतीके दसान्स मल्कीसेदेकके देल्कै। मल्कीसेदेक नाउके अरथ, “धारमिक हिसाबसे सासन करैबला रजा” चियै। सालोमके रजा भेलासे ओकर नामके अरथ “सान्तीसे सासन करैबला रजा” चियै।
बिस्बासमे बौकार भ्याके सैतानके बिरोध कर। कथिलेकी सन्सारमे भेल औरो बिस्बासीसब सेहो अहिनङे दुख भोइगरहलछै से बात तोरासबके थाहेछौ।
हौ बाबुसब, हम अहाँसबके लिखैचियै कथिलेत जे सुरुवेसे छेलै ओकरा अहाँसब चिन्हैचियै। हे जबानसब, हम तोरासबके लिखरहलचियौ, कथिलेत तुसब ओइ दुस्ट सैतानके जितनेचिही।
हमर धियापुतासब, तुसब परमेस्वरके चिही आ तुसब झुठा अगमबक्तासबके जितनेचिही कथिलेत तोरासबमे रहल पबितर आत्मा सन्सारमे भेल आत्मासे सक्तिसाली छै।
कथिलेकी जे परमेस्वरके बेटा-बेटीसब चियै, उ अइ सन्सारके जितलैछै। खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन अपनासब अइ सन्सारके जितने चियै।
थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै।
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’
हम ओकरा कहलियै, “गुरु जी, हमरा थाह नै छै। अहिके थाहछै।” उ हमरा कहल्कै, “उसब त बरका भारी सताबट सैहके एलछै आ उसब आपन-आपन बस्तर थुमाके लहुसे धोइबके उजर बनाइनेछै।