“हमर पिता हमरा सबचिजके जिमा देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै आ बेटा ओकरा जकरलग परगट करैके इक्छा करैछै से औरो कोइ नै जानैछै।”
तब उसब येसुके पुछल्कै, “तोहर पिता कते छौ?” येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब नै त हमरा चिन्हैचिही आ नै त हमर पिताके। यदी तुसब हमरा चिन्हतिही त हमर पितोके चिन्हने रहतिही।”
तुसब ओकरा चिन्हने नै चिही महज हम ओकरा चिन्हने चियै। यदी हम ओकरा नै चिन्हैचियै कहबै त हम्हु तोरासब जखा झुठा ठहरतियै। महज हम ओकरा चिन्हैचियै आ ओकर बचन पालन करैचियै।
एक समयमे हम्हु परमेस्वरके निन्दा करैबला आ ओकरमे बिस्बास करैबलासबके सताइबला आ दुरछिया करैबला लोक छेलियै। महज परमेस्वर हमरा दया करल्कै कथिलेकी उ कामसब हम अन्जानमे करलियै आ ओइ बखत हम परभुके नै चिन्है छेलियै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।