25 “यि बात हम तोरासबके खिसा-पिहानीसबमे कहनेचियौ। महज समय आइबरहल छौ, तैबखत हम तोरासबके सङे फेनो खिसा पिहानीमे नै बाज्बौ, बल्की पिताके बिसयमे साफ-साफ कैहदेबौ।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब यि खिसाके अरथ नै बुझैचिही त औरो कथासबके अरथ कनङके बुझबिही?
बिना खिसासे येसु ओकरासबसङे नै बोल्लै, महज आपन चेलासबके परोछमे सबके अरथ खोइल देल्कै।
से बात खोइलके येसु आपन चेलासबके कहल्कै। महज यि सुइनके पतरुस ओकरा एक कातमे लज्याके हपारल्कै।
यहुदी अगुवासब ओकर चारुकात जमा भ्याके कहल्कै, “अहाँ कहियातक हमरासबके दोधारमे राखबै? यदी अहाँ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै त हमरासबके सत बात कैहदियौ।”
येसु यि बातसब ओकरासबके दिस्टान्तमे कहने छेलै, महज येसु कथी कहैले चाहैछेलै से बातके अरथ उसब नै बुझल्कै।
“हमरा तोरासबके कहैबला बातसब त बहौत छै, महज अखुन तुसब नै सहे सकबिही।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
देख! समय आइबरहल छै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्ही महज हमरा असगरे छोइर देब्ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।