24 अखुनोतक तुसब हमर नाममे कुछो नै माङनेचिही। माङ त तुसब पाबबिही आ तहैसे तोरासबके आनन्द पुरा हेतौ।
तुसब अनङके परथना कर- ‘हे स्वरगमे रहैबला हमरासबके परमेस्वर पिता, अहाँके नामके आदर हेबे।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
तुसब हमर नाममे कोनो चिज माङबिही त से हम पुरा कैरदेबौ।
हमर आनन्द तोरासबमे रहे आ तोरासबके आनन्द पुरा हेबे कैहके हम यि बातसब तोरासबके कहलियौ।
ओइ दिन तुसब हमरा कुछो नै पुछबिही। हम साँचोके कहैचियौ, तुसब हमर नाममे पिता सङे जे माङबिही, से उ तोरासबके देतौ।
जकरसङे कनिया छै वह्या बर चियै। बरसङे ठार हैबला बरेके अबाज सुइनके बहौत खुसी हैछै। अहैलेल हमर यि खुसी आब पुरा भेलछै।
परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्ट तोरासबके अनुगरह आ सान्ती देबे।
हमरा तोरासबके लेल लिखैबला बात त बहुतो छै, महज हम कागत आ मैससे लिखैले नै चाहैचियै। बरु तोरासबलग ज्याके आमने-सामने भ्याके बतियाबैके आसा करनेचियै, ताकी अपनासबके आनन्द पुरा भ्यासके।