22 अहिनङे अखुन तुसब सोक करबिही, महज हम फेनो तोरासबके भेटैले एबौ त तोरासबके हिरदय खुसीसे भरतौ। तब कोइ नै तोरासबके खुसी तोरासबसे छिन्तौ।
उ जनिसबमे डर भेलै तैयो खुसीसे यि समाचार चेलासबके सुनाबैके लेल चिहानसे दौरते गेलै।
महज एकेटा बातके जरुरी छै, जे मरियम छान्नेछै। जे ओकरसे कोइ नै छिने सक्तै।”
महज अबराहम ओकरा कहल्कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही।
रजा कहल्कै, ‘हम तोरासबके कहैचियौ, जकरसङे छै ओकरा ओरौ बेसीसे देतै, महज जकरसङे नै छै तकर सङे कन्हिकरा जे रहतै ओहो छिनलेतै।
अखन तक उसब बिस्बास करे नै सक्लै कथिलेत उसब खुसी आ आस्चरजमे छेलै। तब येसु ओइसबके कहल्कै, “कि तोरासबसङे कुछो खाइबला छौ?”
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
“आब तुसब कन्हिक देरके बाद हमरा नै देखबिही, तब कन्हिके देरमे तुसब फेनो हमरा देखबिही।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब कानबिही आ खिजबिही, महज सन्सार खुसी हेतौ। तुसब दुखमे परबिही, महज तोरासबके दुख, खुसी आ आनन्दमे बदैल जेतौ।
हमर एह्या बात बतेलाके कारनसे तोरासबके मन दुखसे भरल छौ।
तखुन येसुके सबसे बेसी परेम करैबला चेला पतरुसके कहल्कै, “उ त परभु चियै!” पतरुस यि बात सुनते मातर आपन बस्तर डारमे लपेटल्कै (उ काम करैके लेल बस्तर खोल्ने छेलै) आ तालमे झौफ देल्कै।
महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
तब ओहै बखत एन्टिओखियाके बिस्बासी बहौत खुसी आ पबितर आत्मासे भरपुर भेलै।
महज अधा रातके पावल आ सिलास परथना करैत, भजन गाबैत परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै, ओकरौरके परथना करैत परमेस्वरके भजन गाबैछेलै आ औरो जहलमे ढोकलहा कैदीसब सुनैत रहै।
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
आब अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके परेम करल्कै। उ आपन अनुगरहसे अनन्त उत्साह आ असल आस देल्कै।
तुसब जहलमे परलहा लोकसबके दया देखाइलिही, आपन सम्पती लुटलगेलै तैयो खुसिसाथ सहन करलिही, कथिलेकी तुसब जानैछेल्ही, कि औरो उतम आ सबदिन रहैबला सम्पती आपनेसङे छै।
परमेस्वरके करल परतिग्या आ खेल किरिया यि दुनुबात कहियो नै बदल्तै, कथिलेकी परमेस्वर झुठ नै बोलैछै। अहैलेल ओकरमे सरन लैबलासब अपनासबके अगा राखल आसा पाबैले बरका हौसला पाबनेचियै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।