तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहल छै से उ नै जानैछै।
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।