12 “हमरा तोरासबके कहैबला बातसब त बहौत छै, महज अखुन तुसब नै सहे सकबिही।
एहिनङे लोकसब परमेस्वरके बचन नै बुझे तक येसु औरो बहुत खिसासब सुनाइल्कै।
आब हम तोरासबसङे बहुत बात नै करबौ, कथिलेकी अइ सन्सारके सासक आइबरहल छै। हमर उपर ओकर कोनो अधिकार नै छै।
आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ।
उ तोरासबके परमेस्वरके नियाइ कथी चियौ से देखादेतौ। कथिलेत यि सन्सारके रजा पहिने दोसी ठहैर गेलछै।”
महज सतके आत्मा जब एतौ तब उ तोरासबके सब बातसब बुझाइतौ। उ आपने दिसनसे बात नै करतौ महज उ जे सुन्तौ, ओह्या तोरासबके कहतौ तब पाछे हैबला बातसब सोहो कहतौ।
चालिस दिनतक कुरूसके मिरतुसे जिबित भ्याल परमान दैले बहुतो बेर ओइसबके अगा देखा परलै। उसब ओकरा देखल्कै आ ओकरासबसे परमेस्वरके राजके बारेमे बतेल्कै।