3 किसान ठाइरके साफ करल जखा तुसब पहिनेसे हमर बचनसे सुध भेलचिही।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “जे असलान करने छै ओकर टाङ मातरे धोबे परतै, कथिलेत उ पुरे सुध रहैछै। तुसब सुध त चिही, महज सबकोइ नै।”
हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै।
अहाँके सत्यतासे ओइसबके पबितर करु, कथिलेत अहाँके बचन सत छै।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
खिरिस्ट मन्डलीके बचन रुपी पानीसे धोइबके सुध आ पबितर बनाइल्कै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।