22 “यदी हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै।
मालिक ओकर नै सोचलहा दिन आ घरी एतै, ओकरा करा सजाय देतै आ ओकर दसा परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबलासब जखा हेतै।
जे हमरा आ हमर बचनके इन्कार करैछै तकरा नियाय करैबला एकगोरा छै। हमर बोलल बचनेसे अन्तके दिनमे ओइसबके उ नियाय कैरदेतै।
जे हमरा घिरना करैछै, उ हमर पिताके सेहो घिरना करैछै।
हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै।
कथिलेत उसब हमरमे बिस्बास नै करैछै।
येसु जबाब देल्कै, “यदी परमेस्वर अहाँके कोनो अधिकार नै देने रहतियौ त हमर उपर अहाँके कोनो अधिकार नै रहतियै। तै खातिर हमरा तोहर हाथमे सोपै बलासब औरो बेसीसे पापके भागिदार हेतै।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “यदी तुसब अन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
अहैले पहिने अनजानमे करल कामके परमेस्वर धियान नै दैछै। महज आब परमेस्वर सब ठामके लोकसबके ‘आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव करै’ कैहके आग्या देने छै।
सन्सारके सिरिस्टी हैतकालसे ओकर बन्याल चिजसबसे लोकसब परमेस्वरके जानैले सक्तै। परमेस्वरके अनन्त सक्ती आ इस्वरीय स्वभावसब जखा नै देखाइबला गुनसब सेहो उसब सिरिस्टी करल चिजसबसे साफ-साफ बुझैले सक्तै। ओहैसे ओइसबके बहाना बनाबैबला कोनो कारन नै छै।
हे लोकसब, कि तु दोसरके दोस लगाइचिही? तोरासबमेसे चाहे जे कोइ हेबे दोसी नै चियै कैहके बहाना करैबला कोनो कारन नै छौ। दोसरके दोस लगाइबला तु आपनेके दोसी ठहरबिही, कथिलेत जे कामके लेल दोसरके दोस लगाइचिही, उ काम तु आपने करैचिही।
कोइ असल करे परैछै कैहके बुझने रहैछै महज बुझियोके नै करैछै त, उ पाप करैछै।
तुसब स्वतन्तर लोक जखा जिबन बिता। आपन स्वतन्तरताके खराब काम करैके लेल बहना नै बना, महज परमेस्वरके दास भ्याके असल काम कर।