15 आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ।
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
ओकरासबके भितरमे रहल खिरिस्टके आत्मा खिरिस्टके दुख भोगेपरतै आ पछा आबैबला महिमाके बारेमे पहिनेसे भबिसबानी करने रहै। तब उ समय कहिया आ कनङके एतै कैहके उसब खोज-तलास करने छेलै।