14 यदी तुसब हमर देल आग्यापालन करैचिही त, तुसब हमर सङी चिही।
कथिलेत जे स्वरगमे रहैबला परमेस्वर पिताके इक्छा पालन करैछै, उहे हमर माँ आ हमर भाइ आ हमर बहिन चियै।”
येसु फेनो कहल्कै, “हे हमर साथीसब हम तोरासबके कहैचियौ, ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातर मारैछै, तकरबाद उ कुछ नै करे सकैछै।
यि बातसब जाइनके उ करैचिही त, तुसब धैनके हेब्ही।
“यदी तुसब हमरा परेम करैचिही त हमर देल आग्यासबके मानबिही।
हमरा परेम करैबला उ चियै जे हमर आग्या सुइकार करैछै आ ओकर पालन करैछै। जे हमरा परेम करतै ओकरा हमर पितो परेम करतै। हम्हु ओकरा परेम करबै आ ओकरमे हम आपनके परगट करबै।”
‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदी तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै।
येसुके माँ नोकरसबके कहल्कै, “येसु जे कहैछौ, तुसब ओहिनङ कर।”
अबराहम परमेस्वरमे बिस्बास करल्कै आ परमेस्वर ओकरा धरमी ठहरेल्कै कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात ओकर करल कामसे पक्का साबित करैछै। ओहैसे उ परमेस्वरके सङी कहलगेलै।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।