13 साथि-सङीके लेल आपन परान देनाइसे बरका परेम औरो किछो नै छै।
येसु फेनो कहल्कै, “हे हमर साथीसब हम तोरासबके कहैचियौ, ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातर मारैछै, तकरबाद उ कुछ नै करे सकैछै।
“असल चरबाह हम्ही चियै। असल चरबाह त आपन भेंरासबके लेल आपन परानो दैले पछा नै हटैछै।
जहिनङ पिता हमरा चिन्हैछै आ हम पिताके चिन्हैचियै, तहिनङ हम आपन भेंरासबके चिन्हैचियै आ भेंरासब हमरा चिन्हैछै। हम भेरासबके लेल आपन परानो दैचियै।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।