4 हम जते ज्यारहल चियै उ बाट त तुसब जान्बे करैचिही।”
कि खिरिस्टके यि सब दुख काइटके आपन महिमाके खातिर जाइसे पहिने जरुरी नै छेलै त?”
ढुकैबला केबार हम्ही चियै, जे कोइ हमरबाटे ढुकतै से कोइ बाच्तै। उ भितर-बाहर करतै आ घास हैबला ठाममे चरैले पाबतै।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
येसु जानैछेलै कि पिता हमर हाथमे सबचिज देनेछै आ हम परमेस्वरसे एलचियै आ परमेस्वर लग ज्यारहल चियै।
हमर पिताके घरमे बहौत रहैबला ठामसब छै आ हम तोरासबके लेल रहैबला ठामसब तयार करैले जाइचियौ। यदी तेहन नै रहतियै त हम तोरासबके यि बात कहबे नै करतियौ।
‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदी तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
थोमा ओकरा कहल्कै, “परभु, अहाँ कते ज्यारहल चियै, से हमसब नै जानैचियै, तब हमसब उ बाट कनङके जाने सक्बै?”
हम पितालगसे सन्सारमे एलचियै, आब फेनो सन्सार छोइरके पितालग घुइमके ज्यारहल चियै।”
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”