ओकर चेलासब पहिने यि बात नै बुझल्कै। महज येसु महिमीत भेलाके बाद ओकरासबके याद एलै कि यि बात ओकरे बारेमे लिखल छेलै आ उ लोकसब यि सबकाम ओकरे लेल करल्कै कैहके बुझल्कै।
महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदी हम नै जेबौ त तोरासबके सल्लाह दैबला पबितर आत्मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ।
अहैसे परमेस्वर पिता आपन देहना हाथ कात बैठेल्कै आ आपन परतिग्या अनुसार ओकरा पबितर आत्मा देल्कै। ओह्या पबितर आत्मा हमरासबके देने छै, जे अहाँसब देखैचियै आ सुनैचियै।
हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
तैखातिर हम तोरासबके यि बात बुझ कैहके चाहैचियौ, कि परमेस्वरके आत्माके अगुवाइमे चलैबला कोइ नै “येसु सरापित हेबे” कहतै आ पबितर आत्माके अगुवाइसे मातरे कोनो लोक “येसुवे परभु चियै” कैहके आपन मुहसे सुइकार करैले सक्तै।
तोरासबके देह पबितर आत्माके मन्दिर चियौ, जे पबितर आत्मा तुसब परमेस्वरसे पाबनेचिही आ उ तोरासबमे बास करैछौ, से बात तोरासबके थाह नै छौ? तुसब स्वयम आपने नै चिही।