25 “यि बातसब तोरासबसङे रहैतकाल हम तोरासबके कहनेचियौ।
यि घटना हैसे पहिने हम तोरासबके कहैचियौ। तहैलेल जब उ हेतौ तब ‘हम ओह्या चियौ’ कैहके तुसब बिस्बास करबिही।
जे हमरा परेम नै करैछै, उ हमर बचनके पालन नै करैछै। जे बचन तुसब सुनैचिही, उ बचन हमर नै, महज हमरा पठाइबला पिताके चियै।
महज पिता हमर नाममे पठाइबला सल्लाहकार पबितर आत्मा तोरासबके सब बात सिखाइतौ आ हमर कहल सब बात तोरासबके मन पाइरदेतौ।
यि हैसे पहिने सब बात हम तोरासबके कैहदेने चियौ, ताकी जब यीसब हैले एतौ तब तुसब बिस्बास करैले सक।
हमर आनन्द तोरासबमे रहे आ तोरासबके आनन्द पुरा हेबे कैहके हम यि बातसब तोरासबके कहलियौ।
“हमरा तोरासबके कहैबला बातसब त बहौत छै, महज अखुन तुसब नै सहे सकबिही।