हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।
‘जकरा कान छै, उ पबितर आत्मा मन्डलीसबके कथी कहैछै से बात सुने। जे जित हासिल करतै, तकरा हम गुप्तमे भेल खाइबला मन्न देबै। हम ओकरासबके एकटा उजर पथल देबै, जैमे लया नाम लिखल रहतै। यि उजर पथल पाबैबला मातरे उ नाम जान्तै।’”