18 हम तोरासबके टुगर बनाके नै छोरबौ, हम फेनो तोरासबके लग एबौ।
कथिलेत जते दुइ या तिन गोरा हमर नाममे एक ठाम जर हेतै, तते हम तोरासबके बिचमे हेबौ।”
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एक गोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
“आब तुसब कन्हिक देरके बाद हमरा नै देखबिही, तब कन्हिके देरमे तुसब फेनो हमरा देखबिही।”
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
आब अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट आ अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके परेम करल्कै। उ आपन अनुगरहसे अनन्त उत्साह आ असल आस देल्कै।
उ आपने दुख भोगल्कै आ परिक्छामे परलै, तैल्याके परिक्छामे परैबलासबके उ सहायता करैले सकैछै।