तब येसु उसबके जबाफ देल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे बिस्बास छौ आ सङका नै कैरके यि अन्जिरके गाछके जे हम करलियै अतबेक नै, महज यि पहारके ‘तु अतेसे उखैरके समुन्दरमे खस’ कहबिही त तहिनङे हेतौ।
तब दुरेसे हरियर पतासे भरल अंजिरके गाछ देखके ओइमे फल भेटतै कि कैहके उ ओते गेलै। जब उ ओते पहुचलै ओइ गाछमे पता बाहेक कुछो नै भेटलै, कथिलेत तै बखत अंजिर फरैबला समय नै भेलरहै।
महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदी हम नै जेबौ त तोरासबके सल्लाह दैबला पबितर आत्मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ।
अहैसे परमेस्वर पिता आपन देहना हाथ कात बैठेल्कै आ आपन परतिग्या अनुसार ओकरा पबितर आत्मा देल्कै। ओह्या पबितर आत्मा हमरासबके देने छै, जे अहाँसब देखैचियै आ सुनैचियै।