4 तब येसु ख्याके उठलै आ आपन उपरका बस्तर एक कातमे राइखके गम्छा डारमे बानहल्कै।
उ नोकरसब धैनके चियै, जब मालिक घर आबैछै त उसबके जागल देखैछै। साच्चे हम तोरासबके कहिचियौ, उ आपन डाँर कैसके ओकरासबके खियाइले बैठेतै आ आइबके सेबा करतै।
“तोरासबमेसे ककरो नोकर खेतसे हर जोइतके या भेंरा चराके एतौ त, तुसब ओइ नोकरके ‘जल्दी आइबके खाइले बैठ’ कहबिही?
नै, बरु उ त ओकरा कहतै, ‘हमर लेल खाना तैयार कर, डाँर कस आ जाबेतक हमरा ख्याल-पियल नै हेतौ ताबेतक हमर सेबा टहल कर। तकरबाद तु खाइहे।’
आब हमरा कह बरका के चियै? खाइले बैठल मालिक कि खाइले दैबला नोकर? कि खाइले बैठल मालिक नै चियै? महज हम त तोरौरके बिचमे एकटा नोकर नहाइत चियौ।
येसु चेलासबके टाङ धुवाइलाकेबाद, आपन राखल उपरका बस्तर फेनो पिन्हके आपने ठाममे बैठलै। तब उसबके कहल्कै, “हम तोरासबके लेल कथी करनेचियौ, कि तुसब बुझलिही?
कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहे छौ, उ धनिक छेलै तयौ तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।