31 जब यहुदा बाहर निकैलके गेलै, तब येसु उसबके कहल्कै, “आब मानब बेटाके महिमा परगट हेतौ आ ओकरमे परमेस्वरके महिमा परगट हेतै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “देख, नरहियाके सोहैन छै आ चिरै-चुरगुनसबके खोता छै महज मानबके बेटाके त मुर राखैके ठामोतक नै छै।”
एकटा दुखके बप्तिस्मा हमरा लैले परतै। जाबेतक हम उ बप्तिस्मा नै लेबै ताबेतक हमरा चैन नै हेतै।
तब येसु यि बात सुइनके कहल्कै, “यि बिमारसे उ नै मरतै, महज यि परमेस्वरके महिमाके लेल चियै आ अइसे परमेस्वरके बेटाके महिमा हेबे।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “मानब बेटाके महिमा परगट हैबला समय आइबगेल छै।
हे पिता, अहाँ आपन नामके महिमा परगट करु।” तब स्वरगसे एकटा एहेन अबाज एलै, “हम आपन महिमा परकट करनेचियै आ फेनो महिमा परकट करबौ।”
तुसब हमर नाममे जे कुछ माङबिही, ओइसे बेटासे पिताके महिमा हेबे कैहके हम पुरा कैरदेबौ।
उ हमर महिमा करतौ, कथिलेत जे हमर चियै, से हमरसे ल्याके तोरासबके कैहदेतौ।
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
“तै खातिर इजराएलके पुरे खानदान निकसे जाने कि येसु जकरा, तोहेसब कुरूसमे लटकेल्ही, परमेस्वर ओकरा परभु आ खिरिस्ट बनाइल्कै।”
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
यि काम परमेस्वर अपनासबके येसु खिरिस्टमे करल असिम अनुगरह कतेक महान छै कैहके आबैबला सब दिनमे देखाइके लेल करल्कै।
अहिनङके मन्डलीसे परमेस्वरके सब किसिमके ग्यान स्वरगके ठामसबके सासकसब आ अधिकारीसबके बिचमे परकट करे।
सबकोइ परमेस्वर पिताके महिमाके लेल येसु खिरिस्टके परभु कैहके सुइकार करेपरतै।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बिचमे तोरासबके चालचलन निक हेबे। उसब तोरासबके खराब काम करैबला कैहके दोख लगाइतौ तैयो तोरासबके असल काम देखे आ परमेस्वर नियाय करैले आबैतखिना ओकर महिमा करे।
जे बोलैबला बरदान पाबनेछै से परमेस्वरके बचनसे बोले। जे सेबा करैछै से परमेस्वरके देल सक्तिसे सेबा करे ताकी सब कामसे येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वरके परसन्सा हेबे। ओकर महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन।