20 साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमर पठेल्हा लोकके सुइकार करैछै, उ हमरा सुइकार करैछै आ जे हमरा सुइकार करैछै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करैछै।”
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
“जे तोरासबके बातसब मान्तौ, उ हमरो बातसब मान्तै आ जे तोरासबके इन्कार करतौ, उ हमरो इन्कार करतै आ जे हमरा इन्कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्कार करतै।”
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
ओइ बखत हम बिमार छेलियौ त तोरासबके दिकत भेलछेलौ, तैयो तुसब हमरा छि-छि आ दुर-दुर नै करलिही। महज उन्टे तुसब त परमेस्वरके एकटा दुत आ खिरिस्टे जखा हमरा स्वागत करलिही।
जहिनङ खिरिस्ट येसुके तुसब परभु कैहके सुइकार करलिही तहिनङ तुसब ओकरमे रैहके जिबन बिता।
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।