50 हम जानैचियै कि ओकर आग्या अनन्त जिबन चियै। ओहैसे पिता हमरा जे कहैले लगाइनेछेलै ओह्या बात हम बाजैचियै।”
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
तब येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, बेटा स्वयम आपनेसे कुछो करे नै सकैछै, महज पिताके जे करैत देखैछै, उ ओह्या मातरे करे सकैछै, कथिलेत पिता जे-जे करैछै, बेटो ओह्या-ओह्या करैछै।
जिबन दैबला त परमेस्वरके आत्मा चियै। देहके कोनो महत्व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्वरके आत्मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ।
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “हे परभु, हमसब कते जेबै? अहाँसङे अनन्त जिबन दैबला बचन छै।
तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही।
अहैकारनसे उ हमरा दया करल्कै आ पापीसबमेसे मुख पापी भेलापरभी हमरमे खिरिस्ट येसु आपन महान धिरज देखेल्कै ताकि पछा ओकरा बिस्बास करैबला आ अनन्त जिबन पाबैबलाके लेल हम एकटा उदाहरन बनी।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।