48 जे हमरा आ हमर बचनके इन्कार करैछै तकरा नियाय करैबला एकगोरा छै। हमर बोलल बचनेसे अन्तके दिनमे ओइसबके उ नियाय कैरदेतै।
साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, नियाइके दिनमे ओइ सहरके दसासे बरु सदोम आ गमोराके दुख सहे जोकरके हेतै।
तब येसु उसबके कहल्कै, “कि तुसब पबितर धरमसास्तर नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै, यि काम परमेस्वर करने छै आ अपनासबके नजरमे आस्चरजके बात छै।’
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
तुसब पबितर धरमसास्तरमे नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै,
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
तब येसु आपन चेलासबके एहेन सिक्छा दैले लाग्लै, “मानब बेटाके बहुत दुख भोगैले परतै आ उ अगुवासबसे, मुल पुजारीसबसे आ धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे फेनो जिके उठतै।”
“जे तोरासबके बातसब मान्तौ, उ हमरो बातसब मान्तै आ जे तोरासबके इन्कार करतौ, उ हमरो इन्कार करतै आ जे हमरा इन्कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्कार करतै।”
महज ओइसे पहिने ओकरा बहुत दुख सहे परतै आ अइ पुस्ताके लोकसबसे ओकरा बहिस्कार हेबेपरतै।
तब येसु ओइसब दिसन एकटक लग्याके ताकैत कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे लिखल यि बातके अरथ कथी चियै त? ‘जै पथलके घर बनाबैबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेहे जगके मुल खम्हा बन्लै।’
महज फरिसीसब आ धरमगुरुसब युहन्नासे बप्तिस्मा नै लैके कारन उसब परमेस्वरके योजनाके इन्कार करल्कै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम मानबके बेटाके बहुत दुख काटैले परतै आ उ अगुवा, मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे मरके जि उठतै।”
महज जे हमरसे आ हमर बचनसे लाज मान्तै त मानबके बेटा आपन महिमामे आ परमेस्वर पिताके आ पबितर दुतगनके महिमामे आबैखिना ओकरसे लाज मान्तै।
मारथा कहल्कै, “हँ, हम जानैचियै कि, अन्तके दिनके पुनरुथानमे फेनो उ जिबित भ्याके उठतै।”
“यि नै सोच कि, हम तोरासबके पिताके अगा दोस लगाइबौ। तोरासबके दोस लगाइबला त मोसा चियौ, जकरामे तुसब आस करनेचिही।
हमरा पठाइबलाके इक्छा यि चियै, कि उ हमरा देल्हासबमेसे हम ककरो नै नास हैले देबै, महज अन्तके दिनमे उसबके जियाइबै।
जे परमेस्वरसङे समबन्ध राखैछै, उ परमेस्वरके बचन सुनैछै। तुसब परमेस्वरसङे समबन्ध नै राखैचिही, ओहैसे तुसब ओकर बचन नै सुनैचिही।”
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
ओइ अगमबक्ताके बात नै मानैबला सब परमेस्वरके लोकसबसे अलग करलजेतै आ नास हेतै।’
यि बातसब ओइ दिन हेतै जै दिन परमेस्वर हमर करल सुसमाचार परचार अनुसार येसु खिरिस्ट दुवारा लोकसबके हिरदयमे रहल गुप्त बातसबके नियाय करतै।
यदि हमरासबके करल सुसमाचार परचार झापल छै त, उ ओइसबके लेल झापल छै, जेसब नास हैले ज्यारहलछै।
तब परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब आ परभु येसुके सुसमाचारके नै मानैबलासबके सजाय देतै।
कतहेक लोकके सङगतीमे जाइके बानी नै रहैछै, महज अपनासब एकसाथ भेला हैले नै छोर। महज तुसब परभु आबैबला दिन नजदिक आइबरहल देखलाके कारनसे एक-दोसरके औरो हौसला दहै।
होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?
आब हमसब एहैन महान मुक्तीके वास्ता नै करबै त, अपनासब कनङके दन्डसे बाच्बै? यि मुक्तीके बारेमे सबसे पहिने परभु येसु आपनेसे परचार करल्कै आ ओकर बचन सुनैबलासब अपनासबके लेल पक्का परमानित कैरदेल्कै।
कथिलेकी परमेस्वरके बचन त जिबित आ काम करैबला चियै आ कोनोभी दुइ दिसन धार भेल तलबारसे बेसी चोख रहैछै। जनङ परान आ आत्माके भितर पुइगके अकर जोरनी आ हड्डी भितरके गुदीसबके भाग-भाग करैतक वार-पार करैछै, तहिनङ परमेस्वरके बचन लोकसबके हिरदयके बिचार आ चाहनाके एक-एक कैरके जाँच करैछै।
तुसब बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके सक्तिसे सुरक्छित रहलचिही। उ मुक्ती तोरासबके खातिर तैयार करनेछौ जे अन्तिम समयमे परगट हेतौ।
सबसे पहिने तोरासबके यि बुझैले परतौ कि, अन्तके दिनमे अधलाह लोक आपन स्वारथ चाहना बाहेक औरो किछो नै सोच्तै। उसब तोरासबके खिसी करैत कहतौ,
महज ओह्या बचनसे नियाय हैबला दिनतकके लेल अकास आ पिरथिबीके आइगसे नास करैके लेल बचाके राखनेछै। अकरा वहे दिनके लेल राखनेछै जहिया अधरमी लोकसबके नियाय हेतै आ ओकरासबके नास करलजेतै।