42 तैयो यहुदी अगुवासबमेसे बहुतो गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै। महज फरिसीसबके डरसे उसब आपन बिस्बासके बारेमे ककरो नै कहल्कै, कथिलेकी फरिसीसब यहुदी सभाघरसे निकाइलदेतै कैहके डराइछेलै।
“जे हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, तकरा हम्हु स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने सुइकार करबै।
“हम तोरासबके कहैचियौ, जेसब हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, ओकरा मानबोके बेटा परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने सुइकार करतै।
तकरबाद पिलातस मुल पुजारीसब, सासकसब आ लोकसबके बोल्याके जमा करल्कै।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
तब येसुके करल यि काम देखके मरियमके भेटैले एल यहुदी लोकसबमेसे बहुतो लोक ओकरा बिस्बास करल्कै।
कथिलेत लाजरस जिबित भेलासे बहुतो यहुदीसब पुजारीसबके छोइरके येसुमे बिस्बास करैछेलै।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
तकरबाद अरिमाथिया नगरके योसेफ, जे यहुदीसबके डरके कारन गुप्तमे उ येसुके चेला रहै। उ येसुके लहास लजाइले दिय कैहके बिन्ती करल्कै। तब पिलातस अनुमति देल्कै आ ओकर लहास कुरूससे निचा उताइरके ल्यागेलै।
राइतमे उ येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्वरके सहायता बेगर करैले नै सक्तै।”
तैयो यहुदीसबके डरसे कोइ ओकर बारेमे खोइलके नै बोलैछेलै।
तैयो भिरके बहुतो लोकसब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। तब उसब कहल्कै, “जब खिरिस्ट एतै, तब कि उ यि लोकके करलहासे बेसी अजगुतके कामसब करतै?”
यहुदीसबके डरसे ओकर बाप-महताइर एहेन जबाब देल्कै कथिलेत येसुके मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट जेसब कहतै, तैसबके सभाघरसे निकाले परतै तै बातमे यहुदीसब पैहने सहमत भेलरहै।
उसब ओकरा जबाब दैत कहल्कै, “तु त एकदमसे आपन पापेमे जलमल चिही आ तु हमरासबके सिखाबैचिही?” तब उसब ओकरा सभाघरसे बाहर निकाइलदेल्कै।
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
कथिलेत लोक आपन हिरदयसे बिस्बास कैरके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैछै आ बिस्बास करल बात आपन मुहसे सुइकार कैरके उधार पाबैछै।
येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै कैहके सुइकार करैबला लोकमे परमेस्वर बास करैछै आ उ लोक परमेस्वरमे बास करैछै।
येसु खिरिस्ट मानबके रुपमे एलछै से सुइकार करैबला आत्मा परमेस्वरसे चियै कैहके चिन्हबिही।