जब हम सन्सारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।
तब यसैया अगमबक्ता साहसके साथ परमेस्वरके बचन कहल्कै, “जे हमरा खोज्बे नै करल्कै, उसब हमरा भेटाइल्कै, जे हमर बारेमे पुछबे नै करल्कै, ओइसबके अगा हम आपने परगट भेलियै।”