37 येसु लोकसबके अगा बहुतो अजगुतके कामसब करल्कै, तैयो उसब ओकरमे बिस्बास नै करल्कै।
तकरबाद येसु जै-जै नगरसबमे सबसे बेसी अजगुतके कामसब करने रहै, तैसबके उ धिक्कारे लाग्लै, कथिलेत ओतेका लोकसब आपन पापके खातिर पस्चाताव नै करने रहै।
अबराहम कहल्कै, ‘मोसा आ अगमबक्ताके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बातके नै मान्तौ आ नै सुन्तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्बास नै करतौ।’”
उ आपने लोकसबलग एलै, महज ओकर आपने लोकसब ओकरा सुइकार नै करल्कै।
अहाँ हमर बिन्ती सबदिन सुनैचियै से हम जानैछेलियै। महज चारुकात ठारभेल लोकसबके खातिर हम कहनेचियै, ताकि अहाँ हमरा यि सन्सारमे पठाइनेचियै कैहके उसब बिस्बास करे।”
जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटा-बेटी हेब्ही।” यि बात कहलाकेबाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।
अनङ यसैया अगमबक्ताके कहल बात पुरा हैकेछेलै- “हे परमपरभु, हमरासबके कहल बचनमे के बिस्बास करने छै? परमपरभुके बाँइहके तागत ककर लग परगट करल छै?”
हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै।
अहिनङे येसु सबसे पहिन्का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्कै। उ आपन महिमा परगट करल्कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै।
लोकसबके बरका भिर येसुके पछा-पछा जाइलेलाग्लै, कथिलेत रोगी-बिमारीसबके उपर करलहा येसुके अचमके कामसब उसब देखने रहै।