जब मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब येसुके करल अचमके कामसब देखल्कै आ मन्दिरमे बच्चासब “दाउदके पुतरके जय हेबे” कैहके जोर-जोरसे हल्ला करैत सुनल्कै, तब उसब एकदम खिस्याइलै।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।