36 तैल्याके यहुदीसब कहल्कै, “देख, उ लाजरसके कतहेक परेम करैछेलै!”
बहुतो यहुदीसब मारथा आ मरियमके ओकर भाइके बारेमे चितभरोस दैले एलछेलै।
तैखातिर दुनु बहिन येसुके एहेन कैहके समाध पठाइने छेलै, “परभु, जकरा अहाँ परेम करैचियै, उ बिमार भेल छै।”
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
हे घरबलासब, आपन घरबालीसबके परेम कर, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके परेम करल्कै आ आपन जिबन अरपन करल्कै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।