33 जब येसु मरियमके कानैत आ ओकरसङे आबैयोबलाके कानैत देखल्कै, तब उ आत्मामे एकदम दुखित आ बेचैन भ्यागेलै,
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
बहुतो यहुदीसब मारथा आ मरियमके ओकर भाइके बारेमे चितभरोस दैले एलछेलै।
घरमे चितभरोस दैले एल यहुदीसब मरियमके झटसिन उइठके बाहर जाइत देखके, कतौ उ चिहानमे कानैले गेलै से सोइचके ओकर पछा-पछा गेलै।
आ उसबके पुछल्कै, “तुसब ओकरा कते राखनेचिही?” उसब जबाफ देल्कै, “परभु, हमरासबसङे आइबके देखु।”
येसु कान्लै।
तब येसु फेनो एकदम दुखित भ्याके चिहानके लगमे गेलै। उ चिहान एकटा सोइन छेलै, ओकर मुहमे एकटा बरका पथलसे झापल छेलै।
“आब हमर मन बेचैन भेल छै, हम कथी कहु? कि हम यि कहबै ‘हे परमेस्वर पिता, आबैबला दुखसे हमरा बचाबु’? नै, एह्या कारनसे हम अइ समयतक आइबगेलियै।
यि कहलाकेबाद येसुके मन एकदम बेचैन भेलै आ आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तोरेसबमेसे एक गोरे हमरा पकरा देब्ही।”
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।