32 जब मरियम येसु भेल ठाममे पुग्लै आ ओकरा देख्तै मातर ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ एतै रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै।”
आ उ येसुके टाङ पकैरके धन्यबाद देल्कै। उ एकटा सामरी छेलै।
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”
याइरस नामके एक गोरे सभाघरके सासक आइबके येसुके टाङमे गोर लागैत कहल्कै, “हमर घरमे आबु कैहके येसुके बिन्ती करल्कै”
ओह्या मरियम पाछे येसुके टाङमे अतर लग्याके आपन केससे पोछनेछेलै। ओकरे भाइ लाजरस बिमार भेल छेलै।
तब मारथा येसुके कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ अइ ठाममे रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै।
महज कोइ-कोइ कहल्कै, “कि अन्हराके आँख दैबला यि लोक लाजरसके मरैसे बचाइले नै सक्तियै?”
उ हाकिम ओकरा कहल्कै, “मालिक, हमर बौवा मरैसे पहिने आइबदियौ।”
हम युहन्ना, यि सब बात सुन्ने आ देखने चियै। जब हम यि बात सुनलियै आ देखलियै, तब हम यि बात देखाइबला स्वरगदुतके अगामे ठेङहुनिया द्याके आराधना करैले खोजलियै।
तब उ चारु जिबित परानी कहल्कै, “आमेन” आ उ धरमगुरुसब निहैकके गोरलगी करल्कै।
तकरबाद उ चारटा जिबित परानीसब आ चौबिसटा धरमगुरुसब अगा आइबके निहुक गेलै। सबके हाथमे एक-एकटा बजाबैबला बिना आ धुप गमकसे भरल सोनाके बाटी छेलै, उ धुपके गमक त परमेस्वरके लोकसबके चरहाल बिन्ती परथना चियै।