27 तब मारथा येसुके कहल्कै, “हँ परभु, अहाँ त सन्सारमे आबैबला खिरिस्ट, परमेस्वरके बेटा चियै कैहके हम बिस्बास करैचियै।”
“उ जे आबैबला छै, से अहै चियै, कि हमसब दोसरके पेरा ताकु?”
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै, जिबित परमेस्वरके बेटा।”
तकरबाद येसु आपन चेलासबके करा आग्या दैत कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहिहे, कि उ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै।”
आइ दाउदके सहरमे मुक्तीदाताके जलम भेल छै, जे खिरिस्ट परभु चियै।
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
उसब ओइ जनिके कहल्कै, “अखुन तोरे बात सुइनके मातरे नै, महज हमरासब आपने ओकर उपदेस सुइनके बिस्बास करैचियै। बास्तममे ओह्या सन्सारके मुक्तीदाता चियै से हमसब जानैचियै।”
तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्लै, “अपनासबके आस करल सन्सारमे आबैबला अगमबक्ता साँचोके एह्या चियै।”
अहाँ परमेस्वरके पठ्याल पबितर लोक चियै से बातमे हमसब बिस्बास करैचियै आ जानैचियै।”
उसब रस्तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्लै। उ मुन्सी कहल्कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लैले कोन चिज रोके सक्तै?”
[फिलिप जबाब देल्कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्बास करैचियै त बप्तिस्मा ल्यासकैचियै।” उ कहल्कै, “हम बिस्बास करैचियै जे येसु खिरिस्टे परमेस्वरके बेटा चियै।”]
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।