15 तोरासबके खातिर हम ओते नै भेलासे खुसी चियै, ताकि तुसब बिस्बास करेसक। महज तैयो अपनासब ओकरलग चल।”
तैखातिर येसु उसबके साफ-साफ कहल्कै कि, “लाजरस मैर गेलछै।
तब ओकर चेलासबमेसे दिदुमस कहाइबला थोमा आपन सङी चेलासबके कहल्कै, “ले आब अपनासब चल आ ओकरेसङे मरब।”
तब येसु यि बात सुइनके कहल्कै, “यि बिमारसे उ नै मरतै, महज यि परमेस्वरके महिमाके लेल चियै आ अइसे परमेस्वरके बेटाके महिमा हेबे।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “यि अबाज हमर लेल नै महज तोरेसबके लेल एलौ।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
अहिनङे येसु सबसे पहिन्का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्कै। उ आपन महिमा परगट करल्कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै।
यि सब तोरेसबके हितके लेल भेल छै, कथिलेकी जतेक बहुत लोकसब परमेस्वरके अनुगरह पाबतै ओतेक बहुत परमेस्वरके महिमाके लेल ओकरा धन्यबाद दैबला काम हेतै।
तहैले परमेस्वरके चुनलहा लोकसबके खातिर हम सबचिज सहैचियै, ताकि ओहोसब येसु खिरिस्टके मुक्ती पाबे आ अनन्त महिमामे सहभागी हैलेसके।
तुसब परमेस्वरके बेटाके नाममे बिस्बास करैबलासबके हम यि चिठी लिखैचियौ, ताकी तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही कैहके थाह हेबे।