14 तैखातिर येसु उसबके साफ-साफ कहल्कै कि, “लाजरस मैर गेलछै।
से बात खोइलके येसु आपन चेलासबके कहल्कै। महज यि सुइनके पतरुस ओकरा एक कातमे लज्याके हपारल्कै।
यहुदी अगुवासब ओकर चारुकात जमा भ्याके कहल्कै, “अहाँ कहियातक हमरासबके दोधारमे राखबै? यदी अहाँ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै त हमरासबके सत बात कैहदियौ।”
येसु ओकर मिरतुके बारेमे कहने छेलै, महज चेलासब लाजरस साँचोके सुतल छै कैहके बुझने छेलै।
तोरासबके खातिर हम ओते नै भेलासे खुसी चियै, ताकि तुसब बिस्बास करेसक। महज तैयो अपनासब ओकरलग चल।”
“यि बात हम तोरासबके खिसा-पिहानीसबमे कहनेचियौ। महज समय आइबरहल छौ, तैबखत हम तोरासबके सङे फेनो खिसा पिहानीमे नै बाज्बौ, बल्की पिताके बिसयमे साफ-साफ कैहदेबौ।
तब चेलासब येसुके कहल्कै, “अखुन अहाँ खिसामे नै महज साफ-साफ बाजैचियै।