7 ओहैसे येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, भेंरासबके ढुकैबला केबार हम्ही चियै।
येसु कहल्कै, “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ भेंरा रहैबला घारिघरके केबारबाटे नै ढुकैछै, महज दोसरकातसे उपर चरहैके ढुकैछै, उ चोर आ डाकु चियै।
ढुकैबला केबार हम्ही चियै, जे कोइ हमरबाटे ढुकतै से कोइ बाच्तै। उ भितर-बाहर करतै आ घास हैबला ठाममे चरैले पाबतै।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।