29 हमर पिता ओकरासबके हमर जिमामे देने छै उ सबसे महान छै। हमर पिताके हाथसे त औरो कोइ नै ओकरासबके छिनके लजाबे सक्तै।
हम ओकरासबके अनन्त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्तै।
पिता आ हम एके चियै।”
‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदी तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै।
आब हम सन्सारमे नै रहबै, महज उसब त सन्सारेमे रहतै आ हम अहाँके लग आइबरहल चियै। हे पबितर पिता, अहाँ आपन नामके सक्तिसे एकरासबके रक्छा करु, जे नाम अहाँ हमरा देलियै, ताकि ओहोसब हम आ अहाँ एक भ्याल जखा एक हेबे।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
“जे लोकसब अहाँ हमरा सन्सारसे देलियै हम ओइ लोकसबके अहाँके बारेमे सब चिज कैह देलियै। उसब अहाँके छेलै आ उसबके अहाँ हमरा देलियै आ उसब अहाँके बचन पालन करने छै।
“आब हम ओइसबके लेल परथना करैचियै। हम सन्सारके लेल परथना नै करबै, महज ओकरासबके लेल, जकरा अहाँ हमरा देनेचियै। कथिलेत उसब अहैके चियै।
जकरा पिता हमरा देनेछै उ हमरलग एतै आ जे कोइ हमरलग एतै ओकरा हम कहियो नै छोरबै।