27 हमर भेंरासब हमर बोली सुनैछै। हम ओइसबके चिन्हैचियै आ उसब हमर पछा-पछा आबैछै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
महज बर भितरेसे जबाफ देल्कै, ‘अहँ, साँचे हम तोरासबके कहैचियै, हम तोरासबके चिन्हबो नै करैचियौ।’
तखैन हम तोरासबके कहबौ, ‘हम तोरासबके चिन्हबो नै करैचियौ। ए दुस्ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो।’
तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहरसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।”
तब येसु आपन चेलासबके साथमे एल भिरके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
महज उ फेनो कहतौ, ‘तुसब के चिही? हम नै चिन्हैचियौ। ए दुस्ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो!’
तब येसु सब लोकसबके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ सबदिन आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
“असल चरबाह हम्ही चियै। हम आपन भेरासबके चिन्हैचियै आ भेरोसब हमरा चिन्हैछै,
हमर औरो भेंरासब छै जे अइ जेरके नै चियै। हमरा ओकरोसबके अइ जेरमे लाबैके जरुरी छै। उसब हमर बोली सुन्तै आ सब एके जेरमे हेतै आ उसबके एकेटा चरबाह हेतै।
हमरसे अगा एल सब चोर आ डाकुसब छेलै, महज भेंरासब ओइसबके बात नै सुनल्कै।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
येसु पतरुसके कहल्कै, “यदी हम नै आबैतक उ जिबिते रहे कैहके हमर इक्छाछै त तोरा कि हैछौ? तु हमर पछा लाग।”
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्वरके बेटाके अबाज सुन्तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्तै सेसब बाच्तै।
तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
हमर कहल बात तुसब कथिले नै बुझैचिही? कथिलेकी तुसब हमर कहल बचन सुनैयोले नै चाहैचिही।
ओइ अगमबक्ताके बात नै मानैबला सब परमेस्वरके लोकसबसे अलग करलजेतै आ नास हेतै।’
महज जे लोक परमेस्वरके परेम करैछै, परमेस्वर ओकरा चिन्हैछै।
महज आब त तुसब परमेस्वरके चिन्हनेचिही या परमेस्वर तोरासबके चिन्हने छौ। महज तुसब कनङ फेर अइ सन्सारके कमजोर रितिरिबाज दिसन लागैचिही आ कथिले ओइसबके दास बनैले चाहैचिही?
महज तैयो परमेस्वरके आपनेसे बनेल्हा जग सबदिन अटल छै। ओइ जगमे एहेन लिखल छै: “परभु आपन लोकसबके चिन्हैछै” आ “परभुके नाम लैबला सब गोरा खराब कामसे दुर रहे परतै।”
तहैलेल पबितर आत्मा कहैछै, “यदी आइके तुसब परमेस्वरके आबाज सुनबिही त,
उसब कहियो नै जनिसबसङे देहके समबन्ध राखने छेलै आ आपनेके सुध राखने छेलै। थुमा जते जते जाइछेलै ओकर पछा लागैबला वहेसब छेलै। परमेस्वर आ थुमाके लेल पहिल्का फलके रुपमे लोकसबके बिचसे ओकरासबके मोल तिरके छुटाइने छेलै।
देख, हम केबारके देहरीमे ठार भ्याके ढकढकाइबौ। कोइ हमर सोर सुनके केबार खोइलदेतै त, हम ओकर कते भितर एबै आ ओकरसङे भोजन खेबै आ उ हमरसङे भोजन खेतै।