7 ओकरेसे सबकोइ इजोतमे बिस्बास करे कैहके इजोतके गबाही दैले उ साक्छी भ्याके एलै।
जेसब ओकरा सुइकार करल्कै आ ओकरमे बिस्बास करल्कै, तैसबके उ परमेस्वरके धियापुता हैके हक देल्कै।
युहन्ना ओकरे बारेमे गबाही दैत जोरसे कहल्कै, “हमरसे पछा आबैबला हमरसे बहौत महान छै, कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै। यि ओह्या लोक चियै, जकर बारेमे सब बात हम कहने छेलियौ।”
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
येसुके लगे बाटे जाइत देखके उ कहल्कै, “देख, एह्या चियौ परमेस्वरके थुमा।”
साँचोके इजोत उ चियै जे सन्सारके सबकोइके इजोत दैछै उ इजोत आइबरहल छेलै।
तकरबाद पावल ओकरौरके बुझ्हाके कहल्कै, “युहन्नाके सिख्याल बप्तिस्मा पापसे पस्चाताव करैबला बप्तिस्मा चियै। उ लोकसबके कहने छेलै ‘हमरसे पाछे आबैबला येसु खिरिस्टमे बिस्बास कर।’”
कथिलेत बिस्बाससे येसु खिरिस्टमे तुसब परमेस्वरके सन्तान भेलचिही।
सब चिजके सिरिस्टी करैबला परमेस्वरमे जुगो-जुगतक घोसाइरके राखल रहसके योजना कि चियै, से बात सबलोकके खुलस्त रुपमे बताइबला काम हमरा देने छै।
सबलोक मुक्ती पाबे आ उसब सत बात बुझे कैहके ओकर इक्छाछै।
कथिलेत परमेस्वरके अनुगरह सब लोकसबके मुक्ती दैले परकट भेल छै।
कोइ कोइ यि बिचार करैछै कि परमपरभु आपन करल परतिग्या पुरा करैले देर करैछै, महज कोइ नास नै हेबे बरु सबलोक आपन-आपन पापसे पस्चाताप करे कैहके उ धिरजसे असियालछै।