हम तोरा साँचेके कहैचियौ, जब तु जबान छेल्ही तब तु आपन गम्छा आपनेसे कसै छेल्ही, जते मन लागैछेलौ ओते जाइ छेल्ही। महज जब तु बुढ हेब्ही तब तु आपन हाथ पसारबिही आ दोसरकोइ तोहर डारमे गम्छा बाइन्हदेतौ आ तोरा जते जाइले मन नै लाग्तौ ओते ल्याजेतौ।
यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मोसा तोरासबके स्वरगके रोटी नै देनेछौ, महज हमर पिता तोरासबके स्वरगके साँचोके रोटी देतौ।
परमेस्वरमे दुख सहैबला तोरासबके आ हमरासबके छुटकारा देतौ। यि त तब हेतै, जब परभु येसु स्वरगसे धधकैत आइगमे आपन सक्तीसाली स्वरगदुतसबसङे परगट हेतै तब यि सब करतै।