47 नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्कै, “देख, उ पक्के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
लोकसबके बारेमे ककरो नै ओकरा कहैके जरुरी छेलै, कथिलेकी ककर हिरदयमे कथी छै से बात उ आपने जानैछेलै।
तब येसु कहल्कै, “जो आ तोहर घरबलाके बोल्याके अते आन।”
येसु आपन उपर बिस्बास करैबला यहुदीसबके कहल्कै, “यदि तुसब हमर बचनके पालन करैत रहबिही त, साँचोके तुसब हमर चेला चिही।
उसब येसुके जबाब देल्कै, “हमरासबके पिता अबराहम चियै।” येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब अबराहमके धियापुता रहतिही त तुसब अबराहमके करल जखा काम करतिही।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
इजराएलीसब खिरिस्टमे बिस्बास नै करल्कै कहतेमे, परमेस्वर ओकरासबसङे करल परतिग्या बिफल भेलै से बात नै चियै। कथिलेत इजराएलके कुलमे जलमल सब लोकसब त परमेस्वरके लोकसब नै चियै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
अहैलेल तुसब दुस्टतासे, छल-कपटसे, सब डाहसे आ सब निन्दासे दुरे रह।
उ नै त कोनो पाप करल्कै आ नै त ओकर मुहसे छलकपटके बात निकल्लै।
ओकरासबके मुहमे कोनो झुठ बात नै भेटलै, उसब दोस रहित छेलै।